रविवार, 25 अक्टूबर 2015

Bhagwati Vandana

भगवतीक वंदना

हे माय उपाय करू पुत्रक, संसार सगर सं" भटकल छी।
कोरा छोरि अहां केर जननी, रोरा में आबि क अटकल छी॥
हे माय ................................

जौं जन्म अहां देने छी माता, कर्म किआ हरि नेने छी ।
करू क्षमां मातु अपराध हमर सबटा हम जे जे केने छी॥
हे माय .................................

हे माय स्नेह सं" जुडा दियअ, पापक जंजीर सं" छोरा दियअ।
तजि देब चरण पर प्राण एतै, नहिं तं" अभिलाषा पुरा दियअ॥
हे माय .................................

हम एखन बनल धानक भूसा, सूपक समाज सं" फटकल छी।
छोरि अहां केर चरण हे माय, रोरा में आबि क अटकल छी॥
हे माय ................................

हम पापक धार मे फंसि कए जननी, दुइ आंखि रहीत अन्हराएल छी।
भेल बात कुबात एखन जे अहींक, आंगन में हम बौआयल छी॥
हे माय उपाय करू पुत्रक, संसार सगर सं" भटकल छी।
कोरा छोरि अहां केर जननी, रोरा में आबि क अटकल छी॥
हे माय ................................

Welcome to Maithili Sanskar Geet

सुस्वागतम्
आजु हम मिथिलांचल में प्रचलित आ अपन श्रेष्ठ जन स" सुनत आबि रहल मैथिल संस्कार गीतक अनूठा श्रृंखला लए क" अपनेक आगू उपस्थित भ" रहल छी। अहि ठाम अहां मिथिला में अनेकों अवसर यथा संतान जन्मोत्सव, मुंडन, यज्ञोपवीत संस्कार, उपनयन, कुमरम/मटकोर, विवाह, द्विरागमन, होली, दीपावली, छठ में गाओल जाएल  संस्कार गीत बधैया, सोहर, मुंडन-गीत, उपनयन गीत, विवाह गीत, समदाओन, झरनी, कजरी, नचारी, महेशवाणी, बटगबनी, छठ गीत, पसाहिन, लगनी, विषहरि गीतक आनंद ल" सकैत छी।

अपने सब सं" यैह आग्रह जे अपन मैथिल संस्कृति/परंपरा के अपन आगू आबए वाला पीढी तक पहुंचाबै में हमरा सहायता करी।


अहां अइ वेबसाईट पर पधार लहुं एहि लेल अहांक आभार।

हिन्दी में अनुवादित
हम मिथिलांचल में प्रचलित एवं अपने श्रेष्ठ जनों से सुनते आ रहे मैथिली संस्कार गीत की अनूठी श्रृंखला लेकर आपके सामने उपस्थित हो रहे हैं। यहां आप मिथिला में विभिन्न अवसरों यथा संतान जन्मोत्सव, मुंडन, यज्ञोपवीत संस्कार, उपनयन, कुमरम/मटकोर, विवाह, द्विरागमन, होली, दीपावली, छठ आदि में गाए जाने वाले संस्कार गीत बधैया, सोहर, मुंडन-गीत, उपनयन गीत, विवाह गीत, समदाओन, झरनी, कजरी, नचारी, महेशवाणी, बटगबनी, छठ गीत, पसाहिन, लगनी, विषहरि गीत का आनंद ले सकेंगे।

आशा है आप अपने मैथिल-संस्कृति/परंपरा को अपने आने वाली पीढी तक पहुंचाने में हमारी सहायता करेंगे। 

इस वेबसाईट पर विजिट करने के लिए आपका आभार।